
मधुबनी DM आनंद शर्मा ने मैथिली में देलनि छठक शुभकामना, कहलनि – घाट पर सब तैयारी पूरा, प्रशासन अहां संग अछि
मधुबनी, 14 नवंबर। छठ महापर्व कें ल’ क’ मधुबनी के जिलाधिकारी आनंद शर्मा ने मैथिली में वीडियो संदेश जारी कएलनि। अपन कार्यालय सं जारी एहि संदेश में ओ जिलावासीकें छठक हार्दिक शुभकामना देलनि आ महापर्व कें स्वच्छ, सुरक्षित आ शांतिपूर्ण ढंग सं मनेबाक अपील कएलनि।
DM आनंद शर्मा कहलनि जे जिला प्रशासन द्वारा जिलाक सब छठ घाट पर व्यापक तैयारी कएल गेल अछि। सब घाट पर विशेष साफ-सफाई, घाट पर पर्याप्त रोशनीक व्यवस्था, सुरक्षा लेल बैरिकेडिंग, शुद्ध पेयजलक व्यवस्था, चिकित्सा सुविधा आ मेडिकल टीमक तैनाती आ पुलिस बल आ सुरक्षाकर्मीक तैनाती कायल गेल अछि।
DM कहलनि अहां सब सं आग्रह अछि जे छठ महापर्व कें शांतिपूर्ण आ सुरक्षित ढंग सं मनाऊ। बच्चा पर विशेष ध्यान राखू, ओकरा गहीर पानि में जाए सं रोकू। पावन पर्व पर शराबक सेवन बिल्कुल नहि करू। घाट पर तैनात अधिकारी आ पुलिसक निर्देशक पालन करू। जिला प्रशासन अहां सबक सेवाक लेल पूरी तरह तैयार अछि।
संदेशक अंत में DM हाथ जोड़ि क’ कहलनि – “अहां सबक छठ महापर्व सुखद, सुरक्षित आ मंगलमय हो। जय छठी मैया।
वीडियो सामने आबिते लोक कमेंट में “जय छठी मैया” लिखि क’ DM कें धन्यवाद देलनि। बहुत रास लोक DM कें मैथिली में संवाद करबाक लेल सराहना कएलनि आ हुनका समर्पित अधिकारी कहलनि।



